mithila sahitysudha

mithila sahitysudha

गुरुवार, 18 अगस्त 2011


घुईर आऊ गाम यौ@प्रभात राय भट्ट

बौआ हमर नुनु  घुईर  आऊ गाम यौ
दिन राईत हम राटैछी अहिक नाम यौ
माए कें बिसरी बौआ गेलें तें प्रदेश
ममता केर देलें बौआ वियोगक सनेश

बौआ हमर नुनु  घुईर  आऊ गाम यौ
अहू ठाम भेटै छै रोजगार आर काम यौ
आनक चाकर बनल छोडू करू अपन देशक सेवा
सुख समृधि शांति भेटत आर भेटत निक निक मेवा

बौआ हमर नुनु घुईर आऊ गाम यौ
जगमे कहा भेटत एहन सुन्दर मिथिलाधाम यौ
मातृभूमि छोईड़ गेलें बौआ हमर कमौआ
माएक ममाताकें आंच लगा कतयेक कमेबे ढौआ

रचनाकार:-प्रभात राय भट्ट

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें